मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

शुक्रवार, 17 नवंबर 2017

बउआ के हत्यारा के आब फाँसी चढ़ा दिअ

अत्याचार के अति भ गेल आबो सजा दिअ

हयो मिथिला पड़ल विपति मे सब मिल क् बचा लिअ

हम्मर बउआ आँखिक तारा,छल हम्मर ओ फूल यो

किया पठेलउ ओइदिन हमहूँ ओई कातिल स्कूल यो
पूरा दुनिया मांगि रहल बस न्याय दिया दिअ
हयो बउआ के हत्यारा के आब जिंदा जला दिअ
सब सेनानी न्याय मांगई लेल गेला ओई स्कूल यो
प्रशासन के बुद्धी देखी गेला दुख मे डुईब यो
सीबीआई स् जाँच  कराबू कातिल के पहीने पकराबू
आ ओई पापी अपराधी के कनी हमरो चिन्हा दिअ
हयो बउआ के हत्यारा के आब फाँसी चढ़ा दिअ
आबो बढू आगू सब मिल एम.एस.यू के साथ यो
अत्याचार के खत्म करई लेल बढ़ाबू अप्पन हाथ यो
मिथिला क्षेत्र आ छात्रक लेल बस न्याय दिया दिअ
हयो बउआ के हत्यारा के आब जिंदा जला दिअ
हयो प्रद्यूम्न के हत्यारा के आब फाँसी चढ़ा दिअ  ।। 

- :-

नाम - उज्जवल कुमार झा 
पिता का नाम- श्री शम्भू नाथ झा 
पता- बसुआरा दरभंगा बिहार 
पुरस्कार-  ऑल इंडिया राइटिंग कम्पीटीशन्स 
(पेन इट टू विन इट जनवरी  2017) के विजेता,
 और  प्रतिभा सम्मान विजेता 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें