विवाह पंचमी के मंगल मय शुभकामना अछि ,
रेवती रमन झा "रमण "
|| विवाह - गीत ||
बाबा करियो कन्या दान
बैसल छथि , बेदी पर रघुनन्दन |
दशरथ सनक समधि छथि आयल
हुनकर करू अभिनन्दन ||
बाबा करियो ----
नयनक अविरल नोर पोछु
ई अछि जग के रीत |
बेटी पर घर केर अछि बाबा
अतबे दिन केर छल प्रीत ||
मन मलान केर नञि अवसर ई
चलि कय करू गठबन्धन ||
बाबा करियो ----
जेहन धिया ओहने वर सुन्दर
जुरल अनुपम जोड़ी |
स्वपन सुफल सब आइ हमर भेल
बान्धू प्रीतक डोरी ||
आजु सुदिन दिन देखू बाबा
उतरि आयल अछि आँगन ||
बाबा करियो ----
हुलसि आउ सुन्दरि सब सजनी
गाबू मंगल चारु |
भाग्य रेख शुभ रचल विधाता
अनुपम नयन निहारु ||
"रमण " कृपा निज दीय ये गोसाउनि
कोटि - कोटि अछि बन्दन ||
बाबा करियो ----
No comments:
Post a Comment