मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Saturday 11 November 2017

बेटीक जन्म - कमलेश प्रेमेन्द्र


बेटी-  बेटी -  बेटी     भेलै,
सगरो मचलै दुखक शोर।
मायक मोन छोट भ'गेलै,
फिफरी परलै बापक ठोर।
केहन कपार भेल बेटा केँ,
 अभागलि सँ बियाह भेलै।
दैबो केँ  नै  ऐहन    चाही,
पोताक मनोरथ नै पुरलै।
ई कहि,बाबा केँ मुँह लटकि गेलै,
दाइ केँ  आँखि सँ खसलै  नोर।
बेटी -  बेटी-   बेटी   भेलै,
सगरो  मचलै दुखक  शोर।
की बेटी ऐहन अभागलि होई छै ,
जन्में   सँ   सभ  कानै   छै।
बेटी बिना  श्रृष्टि नै  चलतै 
से त'   सभ  कियो जानै छै।
बेटी होई  छै  घरक  लक्ष्मी,
जुनि बनियौ औकरा लेल कठोर।
बेटी -  बेटी -   बेटी     भेलै,
 सगरो   मचलै  दुखक   शोर।
बेटी   नहि  अभिशाप   थीक, 
ओ   थीक  ईश्वरक   वरदान।
घरक   इज्जत  प्रतिष्ठा संगे
माय   बापक    बढबै    मान।
जाहि   घर     बेटी   जनमलै,
ओ      घर      भेलै    इजोर।
बेटी-    बेटी-    बेटी     भेलै ,
सगरो   मचलै    दुखक शोर ।
बेटा-बेटी मे जुनि अन्तर बुझियौ,
बेटियो   के    दियौ    सम्मान।
की छै ओकर अपन अहि जग मे,
एक दिन अपनो भ' जायत दान।
बेटी के जुनि करियौ अपमान,
कर जोड़ि  लगै छी सभ केँ गोर।
 प्रेमेन्द्र   लगै छैथ सभ केँ गोर
बेटी -    बेटी -   बेटी    भेलै,
सगरो   मचलै    दुखक  शोर,
मायक   मोन छो ट भ'गेलै,
फिफरी   परलै    बापक  ठोर।
रचित -
कमलेश प्रेमेन्द्र
आहपुर-दामोदरपुर,बेनीपट्टी 
मधुबनी , मिथिला , बिहार 

No comments:

Post a Comment