बाड़ीमे बड़ हरियर लत्ती
लत्तीमे बड़ फूल छै!
हरियर गाछहु फूलसुशोभित
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
झूमि रहल छै हरियर झाड़ी
झूमै तकरो फूल छै!
झूमब,झलकब,रहब फुलायल
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
पीयर,उज्जर,लाल,गुलाबी
रंग-विरंगक फूल छै !
मनमोहक जे फूल गुलाबक
संगहि तकरो शूल छै!!
रहब सुरक्षित शूलक संगहु
तहिमे नहिओं भूल छै!
अप्पन जिनगी राखि बचायब
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
निर्विकार मोनहु फूलहि सन
बनल सुसंगतिमूल छै !
मोनहि मोनहु मोहने राखब
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
मोन बनय मनमीतहु तहिना
जहिना मीतहि फूल छै!
मोन मनोहर राखि बचायब
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
पाबि सहारा लिपटि बढ़ब नित
नेहिल मनसमतूल छै!
नेहिल मन सँ करब समुन्नति
सहज प्रकृति अनुकूल छै!!
---------------------------------------------------
लेखक : पूर्णेन्दु कुमार झा
----------
पूर्णेन्दु कुमार झा
ग्राम+पत्रालय:हरिपुर बख्शी टोल
भाया:कलुआही
जिला:मधुबनी
बिहार-847229
मो.नं.:9905860342
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें