मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Saturday 18 November 2017

आनंदक आभा चहुँ ओर

लेखक : पूर्णेन्दु झा 'बख्शी'

उदयाचलमे अरुणादित्यक                                                                                  
           दर्शन जखने तखने भोर!
आयल भोरहु सहजहि तहिना
           आनंदक आभा चहुँ ओर!!
आनंदित भ' अपन नीड़सँ
             बाहर खेचर करइछ सोर !
सोर मचौने आनि पसारल
              आनंदक आभा चहुँ ओर!!
जागय हमरहु दुनियाँ तहिना
          मानि अपन ई अभिनव भोर!
मुदित प्रभाकरसँ आयल अछि
              आनंदक आभा चहुँ ओर !!
साम्राज्यहु जे राखि बनौने
                दुष्ट कुहेस बड़े घनघोर!
दुष्टक अंतो पाबि सुनिश्चित
              आनंदक आभा चहुँ ओर!!
रुण्ड-मुण्ड भेल दुष्टहु तखने
            भेल उमंगक बड़ हिलकोर!
 अहिना जगमे होअय तहिसँ
              आनंदक आभा चहुँ ओर !!
शांतिबयार बहय भोरहिसँ
              डोलय ई मन तहिसँ जोर!
भाग्य सूर्य तन-मनकेँ जहिसँ
              आनंदक आभा चहुँ ओर!!
----------------------------------------   



No comments:

Post a Comment