मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

गुरुवार, 23 नवंबर 2017

ज्योतिरीश्वर रंगशीर्ष सम्मान - 2017 सँ सम्मानित हेताह श्री उमाकांत झा

वरीष्ठ रंगकर्मी उमाकांत झाक जन्म सन 1951 . मे बिहार राज्यक कटिहार जिलाक अंतर्गत पोखरिया ग्राम मे भेलन्हि। बिहार सरकारक विभिन्न विभागमे सेवा देबाक उपरान्त  2011 मे सेवानिबृति भेलाह। 18 बर्षक अवस्था मे (1969 .) एकटा नौटंकी कम्पनी ज्वाइन केलाह पटना आबि हिन्दी रंगमंच सँ शुरुआत केलन्हि। नीलकमल कला मन्दिर, नटलोक, प्यारेमोहन सहाय, अखिलेश्वर प्रसाद सिंहा, परवेज अख्तर आदिक सम्पर्क मे एलाह वर्ष 1982 मे मैथिली रंगमंच मे प्रवेश केलन्हि। चेतना समिति, अरिपन, भंगिमा आदि संस्था सँ अपन नाता जोड़लन्हि लगभग 36 वर्ष के मैथिली रंगपटल पर अपन यात्रा मे लगभग डेढ़ सौ नाटक के बारह सए सँ बेसी प्रस्तुतिक सहभागी रहलाह । सुप्रसिद्ध रंग संस्था भंगिमाक संस्थापक सदस्य छथि भंगिमा द्वारा लगभग 32 वर्ष सँ अनवरत मंचित होमए बला नाटक काठक लोकमे आइयो बाबाक किरदार निभा रहल छथि किरदार एतेक प्रचलित और प्रसंशित भेल जे हिनका रंगकर्मी एवं प्रेक्षकगणबाबाउपनाम सँ सम्बोधन कर' लगलाह। 
अनेकानेक  सम्मान सँ सम्मानित उमाकांत जीकेँ  कलाश्री सम्मान, शैलबाला पुरस्कार, चेतना समिति सम्मान सँ सेहओ सम्मानित कएल गेल छन्हि मैथिली रंगमंचमे हिनक अतुलनीय योगदान एवं विशिष्ठ अवदान के लेल ज्योतिरीश्वर रंगशीर्ष सम्मान सँ सम्मानित क’ आई मैथिली लोक रंग (मैलोरंग) स्वयं गौरवांवित भ' रहल अछि  

ज्योतिरीश्वर रंगशीर्ष सम्मान सँ पूर्वमे सम्मानित रंगशीर्ष
2010 : प्रेमलता मिश्रप्रेम (पटना
2011 : दयानाथ झा (कोलकाता
2013 : महेन्द्र मलंगिया (मधुबनी
2014 : कुणाल (पटना
2015 : छत्रानन्द सिंह झाबटुक भाई’ (पटना
2016 : प्रो. उदय नारायण सिंहनचिकेता’ (कोलकाता
2017 : उमाकांत झा (पटना)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें