मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Monday 20 November 2017

बढ़ाबू कदम एम.एस.यू. के संग

मिथिलाक शान छी सभहक गुमान छी

मिथिला लेल बनलौं भगवान
सेनानी हम्मर सत् सत् अछि सबके प्रणाम यो
अप्पन त एकटा अछि नारा एक डेग विकास लेल
अई विपति मे भागल नेता तकबई सब कहाँ गेल
पूरा भारत मे भ गेलई एम.एस.यू. के नाम यो 
अई विपति मे साथ निभा क कतेक बचेला जान यो
सब सेनानी क्रांतिकारी छथि करई सब गुणगान यो
अई काजक लेल उज्जवल करई अछि सबके झुईक प्रणाम यो
अई विपति मे घर-घर जा क पूछला सभहक हाल यो
ई भयावह बाढ़ी के कारण मिथिला अछि बेहाल यो
एम.एस.यू. के साथ निभाबू बढ़तई जग मे नाम यो
घर-घर चलई अहिना चर्चा अहाँ सभहक काज के
दुनिया मे गुणगान करई अछि मिथिला के जाब़ाज के
कतेक लिखू हम अहाँ सब लेल वर्णन नईं अछि काज के
दुनिया मे पहचाइन गेलईया मिथिला के आवाज के


---------------------------------------------------------
नाम - उज्जवल कुमार झा 

पिता का नाम- श्री शम्भू नाथ झा 
पता- बसुआरा दरभंगा बिहार 
पुरस्कार-  ऑल इंडिया राइटिंग कम्पीटीशन्स (पेन इट टू विन इट जनवरी  2017) के विजेता, और  प्रतिभा सम्मान विजेता 

No comments:

Post a Comment