|| हमर मिथिला ||
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी |
एहि अन्हरिया में , पूनम के चान दैत छी ||
जागू - जागू यौ मैथिल भोर भय गेल
हमर मिथिला केहन अछि शोर भय गेल
सूतल संध्या के जागल विहान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
एहि बातक गुमान , हमर मिथिला धाम
जतय के बेटी सीता , लेने अयली राम
मिथिला नव जाग्रति अभियान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
जतय सीनूर पीठारे ढोरल अड़िपन
गीत गाओल गोसाउनिक मुदित भेल मन
शुभ मंडप में पागे चुमान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
कवि कोकिल विद्यापति चंदा झा छलैथ
गार्गी मंडन लखिमा अनेको भेलैथ
"रमण " पग - पग पर पाने मखान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
रचनाकार -
रेवती रमन झा "रमण "
मो - 9997313751
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
एहि बातक गुमान , हमर मिथिला धाम
जतय के बेटी सीता , लेने अयली राम
मिथिला नव जाग्रति अभियान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
जतय सीनूर पीठारे ढोरल अड़िपन
गीत गाओल गोसाउनिक मुदित भेल मन
शुभ मंडप में पागे चुमान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
कवि कोकिल विद्यापति चंदा झा छलैथ
गार्गी मंडन लखिमा अनेको भेलैथ
"रमण " पग - पग पर पाने मखान दैत छी |
हम त मैथिल छी , मिथिला लय जान दैत छी ||
रचनाकार -
रेवती रमन झा "रमण "
मो - 9997313751
No comments:
Post a Comment