मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Thursday 21 December 2017

अन्हेर मचल अछि

जत्तहि देखब नजरि उठा केँ सभठामे अन्हेर मचल अछि |
छथि सांसद जनता केर प्रतिनिधि ,अछि करोड़ मे भत्ता वेतन|
शान ओ शौकत अछि राजा केर , देश विदेश मे अरव खरव धन |
क़ानून बना के तोड़थि अपनेँ, अस्त्र हिनक एहि दल ओहि दल अछि |
सभ ठामे अन्हेर मचल अछि ||
दलक निकलुआ राज्य सभा केर ,मंत्री पद पदवी लय भूखल ,
देशक हित अनहित नहि मतलब ,सत्ता भत्ता केर फल चाखल ,
जनता सँ नहि कोनो मतलब ,धत्ता देब विपक्षक कल अछि |
सभ ठामे अन्हेर मचल अछि ||
राज्यक ई विधान मंडल अछि ,अपना अपनी मे दंगल अछि
सभ के जाति समाजक बल अछि , कुर्शी केर चिंता पल पल अछि ,
पाँच साल लय ई बलबंता , ‘मधुकर’ भूखल जन बेकल अछि |
सभ ठामे अन्हेर मचल अछि ||
***********राम चन्द्र मिश्र "मधुकर" *****

18/11/2016

No comments:

Post a Comment