हँ हम उर्मिला छीअस्तित्व विहीन संघर्ष रतअपना आप के ढुढ़ैत तकैतपरित्यक्ते त रहलहुँ हमहुँपूरा पूरी चौदह सालदीप लेसि हम अंतर बाहरताकी पहु निज दुनू ठामबाहर दीपजरैअछि टिम - टिम
अंतर मन में हाहाकारकर्मक नहि भेटल अधिकारपथ बाधा त नहिञें बनितहुँएकमात्र आशा छल प्रिय सँ
भरलनि अंतर मन बस ज्वारलए चलितथि हमरो निज संगरचलन्हि बिधना केहन विधाताकेलनि विधाता की हमरा संगसिये-सिये जपितथि नहि सभजन
पुरितइ हमरो सभ मनकामजइतहुँ वन जौं हमहुँ पहु संगदेखितथि हमरो हृदयक संताप
दुनू बहिनी रहितहुँ संग मिलीमेटितहुँ भरिसक विधिक - विधानतरसै अछि दर्शन विनु नैन
कल्पना झा
Maithili Sahasin Mahasabha
शनिवार, 16 दिसंबर 2017
उर्मिला
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें