मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Sunday 23 October 2016

अभियान गीत

    || अभियान गीत ||

फाँर बान्हि केँ तत्पर मैथिल ,करू सफल अभियान |
मिथिला राज्यक हेतु समर्पित ,करियौ जान परान ||
भारत मे जे राज्य बनल अछि ,सभक अपन अछि नाम |
किन्तु राज्य पौराणिक मिथिला, आइ भेल गुमनाम |
सात कोटि मैथिल केर संख्या ,सभ गुम्मी लधने छी |
एकरा लय नहि कोनो हरबड़ी, बैसल दम सधने छी |
आब अधिक देरी लागत तँ, भागत दूर निदान |
मिथिला राज्यक हेतु समर्पित, करू जान आ प्राण ||
ब्राह्मण क्षत्री वैश्य शूद्र नहि ,डफली अपन बजाउ |
सभ मिलि राग एकेटा तानू ,गीत विजय के गाउ |
सभटा स्वर के श्रोत मिला केँ,शक्तिक सिन्धु बनाउ ,
बाधा केर पर्वतो ठाढ़ यदि , ओकरा ढाहि बहाउ ,
कए निर्माण राज्य मिथिला केर ,राखू पूर्वज मान |
मिथिला राज्यक हेतु समर्पित ,करू जान आ प्राण ||
मिथिला केर पुश्तैनी धंधा ,घुमा केँ आनत वैभव ,
खेती चलत सुडारि तँ भागत, सकल अभाव पराभव ,
लघु उद्योगक बलेँ दरिद्रा ,केँ भगैब अछि सम्भव ,
राज्यक बनने स्वयं विकासक ,साधन आएत नव नव,
मिथिला केँ समृद्धि बनाओत ,पान ओ माँछ मखान |
मिथिला राज्यक हेतु समर्पित ,करू जान आ प्राण ||
रहलहुँ स्त्तरि वर्ष सँ हम सभ, प्राँत बिहारक संग ,
बनल योजना नहि विकास केर ,दिन दिन आशा भंग ,
तिरहुत नामक छलो डिवीजन ,तकरो भेल निपात ,
नाम धाम केँ मेटा देल अछि ,राजनीति आघात ,
‘मधुकर’ मिथिला राज्ये बनने , मैथिल बनब महान |
मिथिला राज्यक हेतु समर्पित, करू जान आ प्राण ||
******************मधुकर ******************

23/10/2016

No comments:

Post a Comment