मैथिली साहित्य महासभाक एहि ब्लॉग पर अपनेक स्वागत अछि। मैसाम मैथिली साहित्यक संवर्धन ओ संरक्षण लेल संकल्पित अछि। अपन कोनो तरहक रचना / सुझाव maithilisahityamahasabha@gmail.com पर पठा सकैत छी। एहि ब्लॉग के subscribe करब नहि बिसरब, जाहि सँ समस्त आलेख पोस्ट होएबाक जानकारी अपने लोकनि के भेटैत रहत। संपर्क सूत्र : 8010218022, 9810099451

Saturday 21 April 2018

तिरहुतिया भोजन - रेवती रमण झा " रमण "

              || तिरहुतिया भोजन अकरे कही ||
                                     

उठि    अन्हरौखे     ब्रह्मस्नान ।
पूजा - पाठ  जाप  शिवध्यान ।।
 भाल त्रिपुण्ड श्रीखण्डहि चानन ।
 ठोप  सिन्दूर  सुशोभित आनन ।।

     धोती   कुर्ता   ,    चानहि    पाग ।    
 काँध   दुपट्टा   ,  चित  अनुराग ।।
   चूड़ा     दही    मिरचाइए    नोन ।
  चीनी   परिते  गद  -  गद   मोन ।।

  राहड़िक  दाइल  भात  तिलकोर ।
  ओलक   सन्ना   पटुआक   झोर ।।
  आदिए   घीव  ,  आ   अंत   दही ।
  तिरहुतिया  भोजन  अकरे  कही ।।

 रचनाकार
रेवती रमण झा " रमण "
                                    

No comments:

Post a Comment